शुक्रवार, 27 जनवरी 2012

क्रिकेट टूनामेंट बसंत

बिगत किछु दिन स बसंत पारशनाथ स्टेड़ियम में क्रिकेट टूनामेंट चली रहल छल.
अहि टूनामेंट में आस परोस के बहुतों गाँव भाग लेने छलाह .....
और सब टीम बरी-बरी स मैच खेलाह एवं दर्शक लोक खूब आनंद उठेलाह...
अहि टूनामेंट में सहसपुर गाँव के टीम फ़ाइनल मैच जितलाह ...

रिपोर्टर:- अजित  झा (बसंत)

बसंतपंचमी के शुभकामना

अहाँ समस्त मिथिला वासी के बसंत ग्राम वासी के तरप स 
अहां सभ के वसंतपंचमी आओर सरस्वती पूजा के शुभकामना. मिथिलाक संग पूरा उत्तर भारत मे आई-काल्हि हड्डी कनकना देबय वाला ठंड पड़ि रहल अछि. मुदा ठंड… कोहरा… कुहासा… शीतलहरी के रहितो सरस्वती पूजा के लsक विद्यार्थी सभ के उत्साह कम नहि पड़ल अछि. पूरा मिथिला मे हर स्कूल… कॉलेज… संस्थान मे सरस्वती पूजा खूब धूमधाम सं भs रहल अछि. एतबे नहि हर टोल… चौक –चौराहा पर सेहो अहांक के पूजा पंडाल लागल आओर पूजा होएत मिल
जाएत. खूब सजावट कएल गेल अछि. झाड़-झंकाड़…फूल के लड़ी लगाएल गेल अछि. कई ठाम बिजली के सामान सं सेहो सजावट कएल गेल अछि. भोरे सं साउंड-बाक्स… लाउडस्पीकर पर गाना बजि रहल अछि. कई ठाम सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो भs रहल अछि. रंग- बिरंगक मूर्ति बनाएल गेल अछि. कतहुं मोर पर सवार त कतहुं कमल फूल पर. काल्हिए सं मूर्ति खरीदकs लाबय के सिलसिला शुरू भs गेल. आई माता सरस्वती के मूर्ति के पूजा के संग स्थापित कएल गेल. लोक सभ अपन-अपन घर पर सेहो छोट-छोट मूर्ति स्थापित कs पूजा कs रहल छथिन्ह.
मां शारदे के पूजा के लेल कई तरह सामान जुटाएल गेल. धूप… दीप… अगरबत्ती… अक्षत… तिल… चंदन… अबीर के संग भगवती के चढ़ाबय लेल वस्त्र आओर श्रृंगारक सामान सं पूजा कएल गेल. पूजा मे बैर.. केसौर… अमरुद… आटाक चूर्ण वाला प्रसाद… बुन्दिया चढ़ाएल गेल. विद्या… बुद्धि… विवेक… ज्ञान की देवी मां शारदे के पूजा जतेक उत्साह सं अपना दिस होएत अछि ओतेक उत्साह अहांके बिहार… बंगाल के बाहर देखय लेल नहि मिलत. दिल्ली मे त कई स्कूल मे सिर्फ औपचारिकता निभाबय लेल एकर पूजा कएल जाएत अछि

शनिवार, 21 जनवरी 2012

बसंत गाँव में महा यज्ञ

बसंत गाँव में आगामी २२ फरवरी स महा  यज्ञ भ रहल अछि.....
अहाँ समस्त  मिथिला वासी स निवेदन अछि की एक बेर जरुर पधारू......
यही महा यज्ञ में सब गोटा पधारी क धर्म के भागीदारी बनू .........
जय मिथिला.........जय बसंत.......



रिपोर्टर:- आकाश झा (बसंत)

नरक निवारण चतुर्दशी

समस्त मिथिला वासी के नरक निवारण चतुर्दशी के हार्दिक बधाई .

 नवयुवक संग बसंत  के तरप स  नरक  निवारण  चतुर्दशी  के हार्दिक सुभकामना अछि....

सोमवार, 16 जनवरी 2012

बसंत में किछु और प्रगति कार्य के विवरण

बसंत में किछु और प्रगति कार्य के विवरण 


१) बसंत में विक्ष्रारोपन कार्य भेल आ.....


२) साकेत बिहारी मंदिर स ल क सुशिल झा घर तक खरंजा के निर्माण भ रहल अछि..


३) मोतिकांत झा के घर लग पुल निर्माण भ रहल अछि (पुबारी टोल बसंत)


४) बसंत मिड्डल स्कूल में मिट्टीकरण कार्य भ रहल अछि 


५) स्व.भोला मिश्र (भुत पूर्ब मुखिया ) जी के घर स ल क जोगी झा के घर तक 
     मिट्टीकरण एबम खरंजा के निर्माण भ रहल अछि..(पु. टोल बसंत )


६) महेश झा के घर स ल क चन्द्र कान्त झा के घर तक मिट्टीकरण एबम खरंजा (पु. टोल)


रिपोर्टर:- संगीत झा एवम  सुमित झा 

शनिवार, 14 जनवरी 2012

मकर संक्रांति

अहाँ समस्त मिथिला वासी के मकर संक्रांति के हार्दिक बधाई ..........
समस्त बसंत ग्राम वासी के तरप स मकर संक्रांति के हार्दिक सुभकामना अछि......

गुरुवार, 12 जनवरी 2012

सरक निर्माण कार्य भ रहल अछि.

सरक निर्माण कार्य
अहाँ समस्त ग्राम वासी के इ सूचित क रहल छि की बसंत गाँव में पक्की सरक निर्माण भ रहल अछि.
१) बसंत पंचायत भवन स ल क होस्पीटल तक
२) बसंत पारश नाथ मंदिर स ल क हरिनगर बसंत रोड तक पक्की सरक निर्माण भ रहल अछि


जय मिथिला...........जय मैथिल...........जय बसंत...

जय मिथिला...........जय मैथिल...........जय बसंत
अहाँ सब मिथिला वासी के बसंत गाँव के तरप स स्वागत  अछि ....

बसंत गाँव एक टा बहुत निक गाँव अछि.........
अहाँ सब मिथिला वासी स निवेदन अछि की एक बेर जरुर पधारू......

हमर पता अछि...

   गाँव:-    बसंत 

   पोस्ट :- खरका

   थाना:-  जाले

   जिला :- दरभंगा 

   बिहार    भारत


स्वागत  कर्ता :-
ग्राम प्रधान :- श्री नथुनी कुमार झा (मुखिया)
                    एवम  समस्त बसंत ग्राम वासी
माग्रदर्शक :- भाष्करा नन्द झा भाष्कर ,
                    सुमित रंजन झा ,
                    संगीत कुमार झा ,एवम  
                    नवयुवक संग बसंत .
 

बसंत गाँव © 2008. Template By: SkinCorner