शनिवार, 14 सितंबर 2013

बसंत हाई स्कूल

जिला पदाधकारी द्वरा बसंत में हाई स्कूल के सुकीर्ति भेटल
प्राप्त सूचना के अनुसार बसंत में बहुत जल्द हाई स्कूल खुलल बाला अछि
ई हाई स्कूल बसंत पारस नाथ स्टेडियम के पास खुलत
जेकर भूमि के चयन भ रहल अछि।

बसंत में ईट उद्योग

प्राप्त सूचना के अनुसर बसंत के दुनु टोल  में एक -एक ता ईट उद्योग
लाइग रहल अछि ई ईट भट्टी दुनु टोल के चौर में लाइग रहल अछि

बुधवार, 28 अगस्त 2013

काली पूजा 2012

दरभंगा जिलाके जाले प्रखंड केर बसंत ग्राम में एहि बेर काली पूजा खूब धूम धाम सं मनावल गेल। काली पूजनक ई 37वां बर्ष छल। बसंत ग्राम निवासी आ सम्प्रति दिल्लीमें उच्चतर पद पर कार्यरत श्री सच्चिदानन्द झा एहि बर्षक काली पूजाक भाड़ उठौने छ्लैथ आ संगहि कार्यक्रम सेहो हुनके सौजन्य सं आयोजित भेल छल। 13 नवम्बर सं 17 नवम्बर 2012 धरि आयोजित काली पूजाके अवसर पर विभिन्न प्रकारक रंगारंग कार्यक्रम राखल गेल छल। दिवाली दिन मां कालीक दक्षिणेश्वरी एवं श्यामा रुपक निर्धारित धार्मिक विधि सं पूजनोपरान्त मां कालीक पट्ट खोलल गेल। दोसर दिन समस्त परिवेश में अध्यात्मिक वातावरण तैयार करय के उद्देश्य सं जागरणक कार्यक्रम राखल गेल छल। तेसर दिन सुप्रसिद्ध मैथिली गायिका पूनम मिश्रा जीक गीतक कार्यक्रम। फ़ेर अंतिम राईत ऑर्केस्ट्राक कार्यक्रम। एहन रंगारंग कार्य्रमक आयोजन सं उपस्थित दर्शक आ श्रोताक मोन मुग्ध होयत देखाई पड़ल। अपन ईलाका में ई सब कार्यक्रम अपना- आप में अदभुत छल। विदित जे खड़का बसंत में मां कालीक पूजा 1977 सं भ रहल अछि। मान्यताक अनुसार काली स्थान शक्ति स्थलक रुपमें जागल अछि आ श्रद्धावान लोकक मनोरथ पूर्ण होयत अछि आ मनोरथा पूर्ण भेलाके खुशीमें हुनके द्वारा प्रतिमा बनायल जा रहल अछि आ पूजा पर होमय बला व्ययक वहन करैत अछि।- BHASKAR JHA












 

श्री कृष्ण जन्माष्टमी

समस्त मिथिलांचल वासी कs श्री कृष्ण जन्माष्टमी के बहुत रास बधाई।

  छात्र नवयुवक संग बसंत

शुक्रवार, 23 अगस्त 2013

युवा फोटो

                                         


                                                     












गुरुवार, 22 अगस्त 2013

हमर गॉम हमर लोक...बसंत

!!!.मिथिला मैथिल माईट पर बसंत छै एक गाम ..


वासी छी ओहि ठाम के सुमित रंजन झा हमर 

  नाम.!!!

शुक्रवार, 16 अगस्त 2013

 

बसंत गाँव © 2008. Template By: SkinCorner